एहेन अत्ततह कतहुँ भेलैए
बूझना जाइ अछि -
कलियुग आब अघोड़ एलैए
कोन वियाहलि कोन कुमरकी
कोवड़ो कनियाँ सुन्ने कोवड़ छोड़ि एलैए
धी - बेटी हमरहु सबकेँ-
ऐठति-जूईठथि एना जनाना -
पूरखक सोंझाँ अबै छलैए ? एहेन अत्ततह--
ऐ,यै कछुबी कनियाँ !
अरिक्षण- परिक्षण तै दिन नै छ'ल ?
मोछकटूआ सभ व'रक पाँछू
एना कियेए यै ढैगहड़ि एलैए -
जनिपीट्टा सभकेँ बा'प - पिती कि मैरि गेलैए!
देखूत' दूधकटुआ सबकेँ जेना लगैए-
अछिया पर सं घूड़ि एलैए ।
के छै छौड़ा के छै छौंड़ी,
फड़क नजड़िए कोनो अबैए ? एहन - अत्
ऐँ , यै गुड़माहा बाली !
नहिरा- ससुरा सब ने डेबलियै
आँखि पर ब'ड़का खोलस ,
हाथम' मोबेएल,
देख' म' केहन गिड़थैनि लगैए
नए विद्यापति ने मधुपक
एकहु प'द' केँ गति भेलैए
देखू त' अठिलाही सभकेँ कथि गवैए
जेना लगै अछि बीख' झाड़'लए
कूट्टी परसँ धैइम एलैए। एहन अत्ततह--
ऐँ, यै ठेङहाबाली!
नैनाजोगिन आपरूप'रका-
अदहु कालसँ होइत एलैए
एना कतहु नहि कोबड़ा घ'र म'
छौंक्षड़ा- छौंड़िक हूइल भेलैए
सभजनैछ स्त्रगणक बिध छै -
जे जकड़ा से नीक भेलैए
घोल - फचक्केँ बुझना जाइए
केयौ ककरहुम' भिड़ि गेलैए।
देखलहुँ नहि निरहैटि सब' केँ -
ककरहु देह पर वस्त्र छलैए ? एना अत्ततह-
ऐँ, गै ललिता !
तूहीटा बीधक'री बनले आकि-
येहटा कनियाँ- व'र भेलैए ?
हे , देह - हाथ झाँपि मनुख सन बैसबैं
बेदीत'र कनियाँ कत्तहु एना उतान भलैए ?
व'रो उचक्के बूझना जाइछौ
छौंड़ी सभ त' फूजल उक्त भेलैए। एहन अत्
ऐँ, रौ कमियाँ !
ईसब' वरियता की वरियातिक झ'र एलैए
नए किनको पाग' न' डोपटा -
नए केयो चानन ठोप कहलनिए।
कहलें व'रयाती छै उत्तर भ'र केर -
बैगे-वाँनिए बूझाना जाइए अछि
स'ब टीसीएस पार पानि भड़ैए
पएडड़ धोब' क' मूंह मारी हम
हाथो नए धोलकैए
गटा-ग'ट सब गिड़ि रहल छै
बूझना जाइ अछि
पसिखानासँ अबैए एलैए ।एहन अत्ततह--
---------डॉक्टर वंशीधर मिश्र---------
शक्तिपीठ थावे मंदिर गोपालगंज (बिहार)
देश और दुनिया के बारे में 10 अनजान तथ्य
फल और सब्जियों के बारे में 10 अनजान तथ्य
अंडे की सब्जी
विटामिन ई कैप्सूल के फायदे
मानवी शरीर से जुड़े १० रोचक तथ्य
दम गोभी
भारत की सबसे 5 डरावनी जगह
Add DM to Home Screen